बिद्यालय भर्ना अभियानको लागि समर्पित, बालबालिकाको करुणामय पुकार

|

सबै बालबालिकालाई बिद्यालयमा भर्ना भएको सुनिश्चित गरौ।

माइगै हम्हु स्कुल जेबै
माइगै हम्हु स्कुल जेबै।।

चन्दु काकाके बेटी सबदिन स्कुल जाइछै,
काइल्हो गेल्छेलै आ आइयो जाइछै।
माइगै देखहिन स्कुल ड्रेसमे कते निक लगैछै।
माइगै देखहिन बेगो बोक्ने छै
माइगै देखहिन कते निक लगैछै।।

माइगै कहिन बाबुके स्कुलमे नाम लिखादेतै
माइगै कहिन बाबुके कापी किन्देतै
माइगै कहिन बाबुके ड्रेस सियादेतै
माइगै कहिन बाबुके बेग किनदेतै।।
माइगै जानकी स्कुलमे बड निमन पढाई होइछै,
आ सबदिन पढाई होइछै।
हयागै माइ सर म्याम सब बड माया करैछै
आ निकसे परहेबो करैछै।।

चन्दु काकाके बेटी ओहि स्कुलमे परह जाईछै,
हमहु ओहि स्कुलमे जेबै।।
माइगै कहिन बाबुके स्कुलमे नाम लिखादेतै।।
पैहर लिख क काबिल बनबै
घरो के काम करबै आ स्कुलो जेबै
माइगै कहिन बाबुके स्कुलमे नाम लिखादेतै।।
माइगै हमर जिन्गी अन्हार नै होतै,
हमर जिन्गी मे इजोर होतै
हमर जिन्गी मे इजोर होतै।।

माईगै हम पहरबौ त दहेज नै दिअ परतौ,
आ तोरे नामके दिया जल्तौ।
अन्हरियासे इजोरिया होतै।
तोरे धियापुतासब चकमक करतौ
जेना तरेगन चकमक करैछै।।

माइगै हम्हु स्कुल जेबै
माइगै हम्हु स्कुल जेबै।।
हमर जिन्गी छौ तोरे हातमे
जेना तु कहैछे खिसा राइतमे।।
हेतौ सपना तोरो पूरा
आ हेतै सपना हमरो पूरा।।

जख्ने होतै पूरा सफाई
होतै स्कुलमे पूरा पढाइ
जख्ने रहबै स्कुलमे हम
जख्ने रहबै स्कुलमे हम।।

आब सरसब परहौतै पूरे घण्टी
आ हमहु रहबै पुरे घण्टी।।
हम बनेबै अपन घर
जख्ने जेबै स्कुल पर।।

हम बनेबै आब हम अपन देश
जख्ने पैरहब हम अपन स्कुल ड्रेश।।
आ माइगै नै जाईपरतै हमरा बिदेश
आ माइगै नै जाईपरतै हमरा बिदेश।।

माईगै हम्हु स्कुल जेबै
माईगै हमहु स्कुल जेबै।।
कहिन बाबुके स्कुलमे नाम लिखादेतै
कहिन बाबुके स्कुलमे नाम लिखादेतै।।

सत्य कुमार महतो
शिक्षा विशेषज्ञ, जनकपुरधाम, धनुषा।
(एम फिल, अंग्रेजी शिक्षा, काठमाडौ विश्वविद्यालय)